रौतहट ।। प्रदेश सांसद एवं प्रदेश २ के भूमि व्यस्था कृषि तथा सहकारी राज्य मन्त्री योगेन्द्र यादव अपन निर्वाचन क्षेत्र भित्रके माधोपुर बजारके स्मार्ट सिटी बनावेके दावी कएले छत । आपन कार्यकाल भित्रेमे माधोपुर बजारके ऐगो नमुना शहरके रुपमे बनावेके दावी कएले छत । गृह जिल्ला रौतहटके माधवनरायण नगरपालिका–६ माधोपुर पुलिस चौकीमे आजु सवेरे पुलिस,जनप्रतिनिधि आ आम आदमीके बीच भेल अन्तरक्रिया कार्यक्रमके प्रमुख अतिथिके रुपमे सम्बोधन करइत मन्त्री यादव माधोपुर बजारके स्मार्ट सिटिके रुपमे विकास करेके लेल विशेष रुपसे लागेके बतएले छत ।
विकास प्रेमी नेताके रुपमे अपन पहिचान बनावेमे सफल राज्य मन्त्री यादव माधोपुर बजार किसान आन्दोलनके केन्द्रविन्दु रहलासे तिव्र विकास करेके अपने आ प्रदेश सरकार लागल हए बतएले छत । मन्त्री यादव बजारके स्मार्ट सिटी बनावेके योजनाके साथ अगाडि बढइत कुछ दिन पहिले माधोपुर बजारके ढलानके काम सम्पन कएले छत । मन्त्री यादवके पहलमे माधोपुर बजार ढलान होलाके बाद बजारमे आवेवालके सुविधा भेल हए । अइसहि माधोपुर बजार आ बजारके अगलबगलके विकासके लेल प्रदेश सरकार यी चालु आर्थिक वर्ष २०७७÷०७८ मे ३ करोड बजेट विनियोजन भेल राज्य मन्त्री यादव जानकारी देले छत । प्रदेश सरकारके तिन करोड आ अपन संसदीय कोषके रकम फेरु यी वर्ष माधोपुर बजारके विकासमे खर्च करेके मन्त्री यादव बतएले छत । राज्य मन्त्री यादवके यी कामसे माधोपुरवासी लोग प्रसंशा कएले हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments