काठमाडाैं ।। मध्य आ पूर्वी चीनके बस्ती दाहर आ डुबानसे प्रभावित बनल हए । अभितक १ सय ४० आदमीके मरण होएके पुष्टि भेल हए त कुछ लोग अभि भि भुलाएल हए । दसौँ लाखसे जादा लोगके सुरक्षित स्थानमे राखलगेल हए । दाहरसे बहुत पक्कावाल घर भि टुटल हए । चीनमे बितल ६ दशकबाद अइसन भारी मेघ भेल बतावल जारहल हए । अभि पाँच दिनतक भारी मेघ वर्षेके चीनके मौसविदसब अनुमान कएले हए । चीनियाँ अधिकारीसब देशके ३३ गो नदीसबमे उच्च बहाव भेल जानकारी देले हए । बुधके दिनसे याङ्गत्जी नदीके मध्य आ निचाके तटीय क्षेत्रमे जल सतह धिरेधिरे घटइत गेल जल संशाधन मन्त्रालय जनएले हए ।चीनके ताजा पानीके सबसे बरका तला कहके चिनहे वाला पोयाङ्गके बहुत जगहके बाँध टुटल हए ।
मध्य आ पूर्वी चीनके बस्ती दाहर आ डुबानसे भेल प्रभावित
Subscribe
Login
0 Comments