काठमाडू ।। नेपालमे बितल २४ घण्टामे २ सय २४ लोगमे कोरोना भाइरसके संक्रमण पुष्टि भेल हए । एकरा साथे देशमे कोरोना संक्रमितके कुल संख्या १९ हजार ७ सय ७१ पुगल हए ।
ओइसहि बितल २४ घण्टामे १ सय ५१ जना कोरोना भाइरससे मुक्त होके अपन घर लौटल हए ।
मन्त्रालयके अनुसार अभि तक नेपालमे कोराना भइरससे ठिक होएवालाके संख्या १४ हजार ३ सय ९९ पुगल हए ।
नेपालमे अभि तक ५ हजार ३ सय १६ लोग सक्रिय संक्रमित रहल मन्त्रालयके प्रवक्ता डाक्टर जागेश्वर गौतम जानकारी देले छत ।
बितल २४ घण्टामे १० हजार ७ सय ६८ लोगके पीसीआर मार्फत परीक्षण भेल हए । एकरा साथे देशभरमे अभितक ३ लाख ७५ हजार ४ सय १६ लोगके पीसीआर परीक्षण भेल हए त १२ हजार १ सय ११ लोग क्वरेन्टाइनमे रहल हए ।
नेपालमे बितल २४ घण्टामे थप ४ आदमीके मृत्यु भेल हए । एकरा साथे देशभर कोरोना भाइरसके कारणसे मृत्यु होएवालके संख्या ५६ पुगल मन्त्रालयके प्रवक्ता डाक्टर जागेश्वर गौतम बतएले छत ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments