जनकपुर ।। कोरोना संक्रमण नियन्त्रणके लागी स्थानीय सरकारसब धमाधम लकडाउन अथवा निषेधाज्ञा लगारहल हए । लकडाउन खुललाके बादमे तीव्ररुपमे कोरोना भाइरसके संक्रमण बढलाके बाद प्रदेश २ के ६ जिल्ला सहित १३ जिल्लामे निषेधाज्ञा जारी भेल हए । प्रदेश २ के शहर, सदरमुकाम ,जिल्लामे स्थानयि तह वाडमे निषेधज्ञा लगावल गेल हए । प्रदेश २ के अस्थायी राजधानी जनकपुर,पर्साके वीरगन्ज,बाराके कलैया,महोत्तरीके जलेश्वर आ सप्तरीके राजविराज लगायतके अन्य जगहमे निषेधज्ञा लागु भेल हए ।
आजु सबेरे सर्लाहीमे भि निषेधज्ञा लगावल गेल हए । गृह मन्त्रालयके प्रवक्ता चक्रबहादुर बुढाके अनुसार काहल मंगरके दिन १२ गो जिल्लामे निषेधज्ञा लागु भेल हए । धनुषा,मोरङ, महोत्तरी , झापा, सुनसरी, बझङ, नुवाकोट आ दार्चुलामे कुछ स्थानीय तह आ वाडमे भि निषेधज्ञा लागु कएल हए ।
अभितक देशभरमे कोरोना संक्रमणके जम्मा संख्या २१ हजार ९ हए ।कोरोना भाइरसके कारण देशभरमे मरण होएवलाके संख्या ५८ पुगल हए ।

0 0 vote
Article Rating
Subscribe
Notify of
guest
0 Comments
Inline Feedbacks
View all comments